Pages

Saturday, July 26, 2008

विदेह 01 अप्रैल 2008 वर्ष 1 मास 4 अंक 7 12. भाषा आ’ प्रौद्योगिकी

12. भाषा आ’ प्रौद्योगिकी

माइक्रोसॉफ्ट वर्डसँ pdf मे परिवर्त्तनक सोझ तरीका अछि, फाइल,प्रिंटमे जाऊ, आ’ फेर प्रिंटरमे एक्रोबेट डिस्टीलर सेलेक्ट कए प्रिंट कमांड क्दय दिअ। मुदा एहिमे कखनो काल pdf डॉक्युमेंट नहि बनैत छैक। तखन प्रिंटर एक्रोबेट डिस्टीलर सेलेक्ट कए प्रोपर्टीज मे जाऊ। ओतय अडोब pdfसेटिंग सेलेक्ट करू। ओतय ऑपशन डू नॉट सेंड फॉन्ट्स टू डिस्टिलर मे टिक लगायल होयत। ओकरा अनचेक करू। आ’ ओके कए बाहर आऊ आ’ प्रिंट कमांड दिअ। आब pdf डॉक्युमेन्ट बनि जायत।
http://www.bhashaindia.com पर tbil converter सॉफ्टवेयर डाउनलोड करू। यदि मंगल फॉंटमे आन फॉटसँ परिवर्त्तन करबाक अछि तँ डॉक्युमेन्ट .doc सेलेक्ट करू इनपुट भाषामे हिन्दी आ’ ascii फॉन्टमे फॉन्ट सेलेक्ट करू। आउटपुटमे भाषा हिन्दी आ’ फॉन्ट Unicode mangal सेलेक्ट करू। आब ब्राउज क’ कय फाइल सेलेक्ट करू। यदि अहाँक कम्प्युटर मे ऑफिस 2007 अछि आ’ वर्ड डॉक्युमेन्ट .docx एक्स्तेंशन अछि , तखन एक्स्तेंशनकेँ रिनेम करू .docआब ब्राउजमे डॉक्युमेन्ट आबि जायत। कंवर्ट टाइप करू। नूतन फाइल Unicode Mangal फॉन्टमे बनि जायत। यदि अहाँक वर्ड दॉक्युमेन्ट फाइलमे Unicode आ’ ascii फॉन्ट मिक्स अछि, तखन अंदाजीसँ फॉन्ट ascii आ’ बेशी प्रयुक्त होयबला ascii फॉन्ट चूज करू। कंवर्ट करू कन्वर्ट भ’ जायत Unicode mangal fontमे।

मूलभूत स्वर अछि- अ, इ, उ, ऋ, लृ
एकरा समानाक्षर कहल जाइत अछि।
दीर्घ स्वर अछि-आ, ई, ऊ, ॠ।
दीर्घ (मिश्र) स्वर अछि-ए ऐ, ओ, औ । एकरा सन्ध्यक्षर कहल जाइत अछि। ई सभ संज्ञा पाणिनीपूर्व वैय्याकरण लोकनिक अछि।
सन्ध्य़क्षर ह्र्स्व नहि होइत अछि, लृ दीर्घ नहि होइत अछि।
अ, इ, उ, ऋ मे प्रत्येकक ह्रस्व, दीर्घ(आ,ई,ऊ,ॠ) आ’ प्लुत(आ३ई३ऊ३ॠ३) भेद भेल, तँ सभटा मिला कय १२ भेद भेल।लृ केर ह्र्स्व आ’ प्लुत दू भेद अछि।ए, ऐ, ओ, औ एकर सभक दीर्घ आऽ प्लुत दू-दू भेद अछि। एहि प्रकारें २२ टा स्वर भेल।

(अनुवर्तते)


(c)२००८. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ’ जतय लेखकक नाम नहि अछि ततय संपादकाधीन।

विदेह (पाक्षिक) संपादक- गजेन्द्र ठाकुर। एतय प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक लोकनिक लगमे रहतन्हि, मात्र एकर प्रथम प्रकाशनक/ आर्काइवक/ अंग्रेजी-संस्कृत अनुवादक ई-प्रकाशन/ आर्काइवक अधिकार एहि ई पत्रिकाकेँ छैक। रचनाकार अपन मौलिक आऽ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) ggajendra@yahoo.co.in आकि ggajendra@videha.co.in केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx आ’ .txt फॉर्मेटमे पठा सकैत छथि। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ’ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आऽ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ श्रीमति लक्ष्मी ठाकुर द्वारा मासक 1 आ’ 15 तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

No comments:

Post a Comment