Pages

Tuesday, December 23, 2008

नीक लोक

नीक लोक ओ
जे रहैत छैक ईमानदार
बेइमानी जखन धरि
रहैत अछि नुकायल

नीक लोक ओ
जे रहैत छैक सत्यवादी
पकड़ल नहि जाइत छैक
जखन धरि झूठ

नीक लोक ओ
जे रहैत छैक संस्कारी
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि राक्षसी प्रवृति
नीक लोक ओ
जे रहैत छैक विश्वासी
जखन धरि मुंह नहि
खोलैत अछि धोखा पाउल लोक
नीक लोक ओ
जे नहि करत अश्लील गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि कामक प्रस्ताव

नीक लोक ओ
जे करत लोक संग मीठ गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी.

4 comments:

  1. नीक लोक ओ जे रहैत छैक सत्यवादी पकड़ल नहि जाइत छैक जखन धरि झूठ

    bah

    ReplyDelete
  2. oh mon mast bha jai ye ee blog dekhi kay,नीक लोक ओ
    जे रहैत छैक ईमानदार
    बेइमानी जखन धरि
    रहैत अछि नुकायल
    नीक लोक ओ जे रहैत छैक सत्यवादी पकड़ल नहि जाइत छैक जखन धरि झूठ
    नीक लोक ओ जे रहैत छैक संस्कारी जखन धरि आगू नहि आबैत अछि राक्षसी प्रवृति नीक लोक ओ जे रहैत छैक विश्वासी जखन धरि मुंह नहि खोलैत अछि धोखा पाउल लोक नीक लोक ओजे नहि करत अश्लील गपजखन धरि आगू नहि आबैत अछि कामक प्रस्ताव
    नीक लोक ओ जे करत लोक संग मीठ गप जखन धरि आगू नहि आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी.

    ReplyDelete
  3. ठीके कहलहुँ विनीत जी। हवा एहने बहल अछि आइ काल्हि।

    ReplyDelete
  4. बड्ड नीक भावना बिन्दु सभ। संवृत सोच आ भावनाक स्फुरण।

    ReplyDelete