Pages

Tuesday, September 22, 2009

गन्ध- हंसराज

गन्ध, गन्ध, गन्ध
ने पुरबा-पछबाक गन्ध
ने कोनो फूल-पातक गन्ध
खाली घामक गन्ध
मनुक्खक चामक गन्ध
सुखा गेल अछि फूल-पात
ठाढ़ अछि बसात
हमहूँ जेना भ’ गेलहुँ अछि बूढ़ आन्हर
झलफलमे सभटा रंग लगैत अछि पीयर।

तैयो सभ नव फूल-पात
नबका बसात अनबामे सक्रिय अछि अपस्याँत
नव लोक, नब आलोक पएबा लेल
एहि, घाम-गन्धक कोठा पर भेटत नव लोक,
नव आलोक
फुलाएत फूल
नाचक पात, बहत शीतल बसात!
सुखाएल फूल-पात नहि
थाकल बसात नहि
हमरा आँखिमे अछि एकटा आभास
एकटा नव आकाश
अथच हमरा नीक लगैत अछि गन्ध
मनुक्खक चामक, घामक ई गन्ध।

4 comments:

  1. manukkhak chamak aa ghamak gandh kavi ke nik lagab, pratikul paristhiti me manav shramak prati atoot astha lel shraddha thik.

    ReplyDelete
  2. bhut phine ee kvita pdhne rhi. dosr ber pdhebak lel anha ke dhanyvad.

    ReplyDelete
  3. Bahut nik Lagal

    ReplyDelete