Pages

Friday, February 22, 2008

आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

मराठी बनाम उत्तर भारतीय के सवाल पर पिछला किछ दिन पहिने महाराष्ट्र म भड्कल आइग शांत होइए बला छले की ओकरा एक बेर फेर हवा दै के कोशिश शिव सेना प्रमुख बाल ठाकरे केलखिन य ! ओ मराठी अस्मिता के नाम पर हिंदी के खिलाप रुख दर्शाबैत बिहार के नेता आर रेल मंत्री लालू प्रसाद क सीधे निशाना बनेलखिन य ! बाल ठाकरे अपन पार्टी के प्रमुख्य पत्र 'सामना' के सम्पादकीय के जरिया लालू प्रसाद क तमिलनाडु के मरीन बिच पर छठ पूजा करै के बात क चूनोती देलखिन य ! अपने क मालूम हुए की लालू प्रसाद यादव महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के अध्यक्ष राज ठाकरे द्वारा उत्तर भारतीय के खिलाप चलेल गेल आंदोलन के जबाब म कहलाखिन रहा कि अगला बेर ओ मुम्बई म छठ पूजा मनेता ! जबाब म शिव सेना सुप्रीमो बाल ठाकरे संपादकीय म लिखलाखिंन कि "तमिलनाडु म मुख्यमंत्री करूणानिधि सब स्कूल म तमिल क अनिवार्य के देलखिन य ! बिहार क नर्क बनाबे बला लालू म हिम्मत छैन त ओ केन्द्र म अपन सहयोगी के सरकार के विरोध करै के लेल तमिलनाडु जैथ आर ओई ठाम बिहारी के मजमा लगाबैथ" ! बाल ठाकरे उत्तर भारत के ओई स्थानीय कांग्रेश नेता सब क आड़े हाथ लेलखिन जे सब कथित रूप स मुम्बई के नगर निगम (बी एम सी) म हिंदी क आधिकारिक भाषा बनाबे के मांग करैत छथिन ! हुनका सब पर निशाना साधेत ठाकरे लिखला हा, "पहिने हिनका सब क चेन्नई, बेंगलूर, हैदराबाद, कोलकाता, आर गुवाहाटी म एहेंन करे के कोशिश करबाक चाही ! अई ठाम महाराष्ट्र के धरती पुत्र मराठी या मुम्बई के शान म कुनू गुस्ताखी बर्दाश्त नै कर्थिन !" बाल ठाकरे बी एम सी मए हिंदी क आधिकारिक भाषा के दर्जा दै जाई के मांग करै बला नेता के खिलाप कानूनी करवाई करै के आर हुनका जेल मए बंद करै के मांग केलखिन य ! ओ महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुखो क नै बख्शलखींन हुनकर बयांन "मुम्बई के दरवाजा सब लए खुलल छई के विरोध मए ठाकरे बाजला 'भूमि पुत्र के कीमत पर मुम्बई के शोषण होइत अछि ! मुम्बई म भूमि पुत्र कए वाजिब हक नै मिल रहले य !

सच्चाई त इ छैन की बेचारा तिलमिलेल छैथ, कारन पहिने हुनकर अपन माटी आर आब अपन परिवार पर शासन नै रहलेंन ! परिवार क बिखरैत देख कए तिलमिलेबे करता आर हुनका सए हेबे की कर्तैन !!

2 comments:

  1. एक बेर फेर बहुत नीक प्रस्तुति।

    ঠাকুব

    ReplyDelete
  2. ee blog samanya aa gambhir dunu tarahak pathakak lel achhi, maithilik bahut paigh seva ahan lokani kay rahal chhi, takar jatek charchaa hoy se kam achhi.

    dr palan jha

    ReplyDelete