Pages

Saturday, May 17, 2008

दवा सs कम नै अछि हँसी



हँसे सs तन - मन मय उत्साह के संचार होइत अछि, आर यदि आत्मा सs हँसल जे दवा सs बेसी फायदेमंद होइत अछि ! हँसी एक उत्तम टॉनिक के काज करैत अछि ! हँसे के लेल आई जगह जगह हास्य क्लब बैन रहल अछि , ताकि भागदौरयुक्त जिन्दगी मs तनाव स मुक्ति मिले ! अपने'क मालूम होबाक् चाही की बात करे वक्त हम सब जते ऑक्सीजन लै छी ओई स छः गुना बेसी ऑक्सीजन हंसेत काल लै छी ! अई तरह शरीर कs प्रयाप्त मात्रा मs ऑक्सीजन मिलेत अछि ! मनोवैज्ञानिको तनाव ग्रस्त आदमी कs हँसे के सलाह दैत छथिन ! मनोवैज्ञानिक के कहब अछि की जखन अपने मुस्कुराबैत छलो त आहाक मस्तिस्क अपने आप सोचे लगैत छैथ की अपने खुश छी ! इये प्रक्रिया पूरा शरीर कए प्रवाहित करैत अछि आर अपने सुकून महसूस करैत छलो ! जखन अपने हँसब शुरू करे छी त शरीर मs रक्त कए संचार तीव्र भो जैत अछि ! तनाव म अगर हँसे के क्षमता हुवे त दुखों कम महसूस होइत अछि ! हँसे सs बहुत लाभ मिले'य जेना की ...
* हँसे सs क्रोध नै आबैत अछि
* हँसे सs आत्मसंतोष के संग सुखद अनुभूति सहो होइत अछि
* शरीर मs नया स्फूर्ति के संचार होइत अछि
* हँसे सs मन म उत्साह के संचार सेहो होइत अछि
* ब्लड प्रेशर कम सेहो होइत अछि
अई तरह सs हँसे के बहुत फायदा देखल गेल अछि आहो हँसब आर हँसेब कए अपन आदत मए शामिल क लिय आर फेर देखु तनाव अपने के पास नै फटकत संगे अपने स्वस्थ सेहो रहब

2 comments:

  1. बहुत नीक ममताजी,

    मैथिलीमे मात्र गद्य-पद्य, कथा आ' उपन्यास लिखल जा' रहल अछि। आवश्यकता छल एहि तरहक लेख-निबन्धक,जे सामाजिक, मनोवैज्ञानिक आ' विज्ञान विषयपर लिखल जाए।
    हँसबासँ होयबला विभिन्न लाभक बड़ नीक वर्णन।


    গজেন্দ্র ঠাকুব

    ReplyDelete
  2. ee blog samanya aa gambhir dunu tarahak pathakak lel achhi, maithilik bahut paigh seva ahan lokani kay rahal chhi, takar jatek charchaa hoy se kam achhi.

    dr palan jha

    ReplyDelete