विदेह 15 मार्च 2008 वर्ष 1मास 3 अंक 6
एहि अंकमे अछि:- 15 मार्च 2008 वर्ष 1 मास 3 अंक 6
1. शोध लेख: मायानन्द मिश्रक इतिहास बोध (आँगा) 2. उपन्यास सहस्रबाढ़नि (आँगा) 3. महाकाव्य महाभारत (आँगा) 4. कथा(प्लाइवुड)
5. पद्य ज्योति झा चौधरीक पद्य गामक सूर्यास्त
आ’ आन कविक अन्यान्य कविता 6. संस्कृत शिक्षा (आँगा) 7. मिथिला कला- चित्रकला चित्रकार उमेश कुमार महतो
8. संगीत शिक्षा (आँगा) 9. बालानां कृते (एकांकी –अपाला आत्रेयी- पहिल भाग)
10. पंजी प्रबंध श्री विद्यानन्द झा”मोहनजी” पंज्जीकार श्री व्
11. मिथिला आ’ संस्कृत( सर्वतंत्रस्वतंत्र बच्चा झाक जीवनी)
12. भाषा आ’ प्रौद्योगिकी 13. रचना लिखबासँ पहिने... (आँगा) 14. प्रवासी मैथिल English मे
अ. VN Jha केर DO WE REALLY EXIST AS NATION
आ.VIDEHA,Mithila,Tirbhukti, Tirhut…(आँगा)
संपादकीय
वर्ष: 1 मास: 3 अंक: 6
एहि अंकमे साहित्यकेँ राजनीतिसँ जोड़य बला अंग्रेजीमे विवेकानन्द झा जीक लेख प्रवासी मैथिल स्तंभक अंतर्गत देल गेल अछि। पञ्जीकारजीक पूर्ण परिचयक संग हुनकर लेख सेहो देल गेल अछि। विदेह द्वारा किचुउ पुरान अलभ्य किताबक डिजिटलाइजेशनक कॉर्पोरा सेहो शुरू कएल गेल अछि। पञ्जीक स्कैनिंग आ’ सर्च करबा योग्य डिक्श्नरी जाहिमे पाठक नव-नव शब्द जोड़ि सकताह केर आधार किछु मनोयोगी विदेह कार्यकर्त्ता सभक द्वार शुरू हेल अछि। ई सभटा सभ क्यो नि:शुल्क कए रहल छथि आ’ अपन मातृभाषाक आ’ मातृभूमिक अनुरागी होयबाक प्रमाण दए रहल छथि। हिनका लोकनिक नाम रचना आ’ आर्काइवक सम्मुख अएला पर सोँझा आनल जायत।
अपनेक रचनाक आ’ प्रतिक्रियाक प्रतीक्षामे।
नई दिल्ली 15/03/08 गजेन्द्र ठाकुर
विदेह (पाक्षिक) संपादक- गजेन्द्र ठाकुर। एतय प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक लोकनिक लगमे रहतन्हि, मात्र एकर प्रथम प्रकाशनक/ आर्काइवक/ अंग्रेजी-संस्कृत अनुवादक ई-प्रकाशन/ आर्काइवक अधिकार एहि ई पत्रिकाकेँ छैक। रचनाकार अपन मौलिक आऽ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) ggajendra@yahoo.co.in आकि ggajendra@videha.co.in केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx आ’ .txt फॉर्मेटमे पठा सकैत छथि। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ’ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आऽ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ श्रीमति लक्ष्मी ठाकुर द्वारा मासक 1 आ’ 15 तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।
No comments:
Post a Comment