Pages

Monday, July 20, 2009

मिथिलाक बेटीक ब्रिटेनमे सम्मान


ब्रिटेन द्वारा मिथिलाक बेटीकेँ मान देल गेल अछि। अप्रवासी भारतीय शिक्षाविद् आशा खेमकाकेँ देशक प्रतिष्ठित सम्मान आर्डर आफ ब्रिटिश एंपायर देल जएत। ई सम्मान ब्रिटिश महारानी दिशसँ देल जाइत अछि । आशा एहि सम्मानकेँ प्राप्त केनिहारि पहिल एशियाई महिला छथि । बिहारक सीतामढ़ीमे जनमल आशा खेमका वेस्ट नाटिंघमशायर कालेजमे प्रधानाचार्य आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी छथि । मात्र 15 सालक उमरिमे हुनकर विवाह मोतीहारीक 19 सालक मेडिकल छात्र शंकर खेमकासँ भेलन्हि । डा. शंकर वरिष्ठ आर्थोपेडिक सर्जन छथि । ओ 1978 मे आशाकेँ लंदन अनने रहथि। तखन आशा नीक जेकाँ अंग्रेजी सेहो नहि बजैत रहथि । एहि सप्ताह महारानीक हाथसँ ई सम्मान ग्रहण करए वाली आशा रवि केँ कहलन्हि , आर्डर आफ ब्रिटिश एंपायर सम्मान पाबि हम स्वयंकेँ गौरवान्वित अनुभव कए रहल छी । ई सम्मान शिक्षाक क्षेत्रमे हमर योगदानकेँ बढ़ाओत। शिक्षाक क्षेत्रमे आशाक उल्लेखनीय योगदानक लेल हुनका मई 2008 मे एशियन वूमेन आफ अचीवमेंट अवार्ड आ जुलाई 2007 मे नेशनल ज्वेल अवार्ड फार एक्सीलेंस इन हेल्थकेयर एंड एजुकेशन सेहो प्रदान कएल गेल अछि।

5 comments:

  1. ee blog yaih sabh karan se pharak lagaiye,

    badhai hamro dis se

    ReplyDelete
  2. din door nahi je mithila apan nam badhaot

    ReplyDelete
  3. आशा खेमका के बहुत - बहुत बधाई जे , लन्दन में जाके मिथीला के बट्टी बनी , मिथीला के मान -सम्मान बढोलैत हम सब मिथीला वाशी , हुनकर आभारी रहबैन ,
    जय मैथिल जय मिथीला

    ReplyDelete
  4. Khemka ji aaha ke bahut bahut badhai.ehi sitamarhi(punora village) me sita maiya ke janm seho hoel chhalau.ehi sitamarhi ke ahu chhalau ta kena nai mithhla ke nam uch hoitai.humer mithila bahut pichhe chhai ai mithila ke sabkoi mil
    kai aaga badhaba ke koshish karu.
    जय माँ मिथिला !जय मिथिलावासी !!
    धन्यवाद ।

    ReplyDelete